काठमाण्डू, २१ जेठः बितल २४ घण्टामे दू हजार ४ सओ ४५ सवारीचालककेँ कारबाही कएल गेल अइछ । अइसँ राज्यकोषमे २२ लाख ७६ हजार ५ सओ १७ टका राजस्व जमा भेल अइछ ।
काठमाण्डू उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालय अनुसार मादकपदार्थ सेवन कएने एक सओ २८, नियमविपरीत ‘राइड सेयरिङ’ कएने एक सओ ६०, ट्राफिक लाइट उल्लङ्घनकर्ता एक सओ ४१ आ तीव्र गतिमे सवारीसाधन चलौने एक सओ ८३ गोटेकेँ कारबाही कएल गेल अइछ ।
तहिना, ‘लेन’ अनुशासन पालन नै करैबला ४३, निषेधित क्षेत्रमे हर्न बजाबैबला एक सओ २३, सड़क कातमे सवारीसाधन ‘पार्किङ’ करैबला १४, एकतर्फी सड़कमे सवारी चलाबैबला एक सओ ६६ आ अन्य सवारी नियम पालन नै करैबला एक हजार ४ सओ ८७ गोटेकेँ कारबाही कएल गेल अइछ ।
–––
यसमा तपाइको प्रतिक्रिया
सम्बन्धित समाचार
Like us On Facebook
Follow Us On Twitter
Tweets by @mirmireonline