काठमाण्डू, १४ जेठः बितल २४ घण्टामे दू हजार ५५ सवारीचालककेँ कारबाही कएल गेल अइछ । अइसँ राज्यकोषमे २२ लाख ११ हजार ५ सओ २ टका राजस्व जमा भेल अइछ ।
काठमाण्डू उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालय अनुसार मादकपदार्थ सेवन कएने ८३, नियमविपरीत ‘राइड सेयरिङ’ कएने एक सओ ९२, सङ्केत बत्ती उल्लङ्घनकर्ता एक सओ ९ आ तीव्र गतिमे सवारीसाधन चलाबैबला एक सओ २ गोटेकेँ कारबाही कएल गेल अइछ ।
तहिना, ‘लेन’ अनुशासन पालना नै करैबला एक सओ ४६, निषेधित क्षेत्रमे हर्न बजाबैबला एक सओ ३, सड़क कातमे सवारीसाधन पार्किङ करैबला एक सओ १२, एकतर्फी सड़कमे सवारी चलाबैबला ८५ आ अन्य सवारी नियम पालन नै करैबला एक हजार एक सओ २३ गोटेकेँ कारबाही कएल गेल अइछ ।
यसमा तपाइको प्रतिक्रिया
सम्बन्धित समाचार
Like us On Facebook
Follow Us On Twitter
Tweets by @mirmireonline