चीनके नयाँ अन्तरिक्ष यात्रा

चीनके नयाँ अन्तरिक्ष यात्रा

  • सोमवार, जेष्ठ ११, २०८३
  • मिर्मिरे अनलाइन

  • 3K
    SHARES

जियुकुआन (चीन), ११ जेठ : चीन अपन अन्तरिक्ष महत्त्वाकांक्षाकेँ नयाँ चरणमे पहुँचेबाक प्रयासस्वरूप शेनझोउ–२३ अन्तरिक्ष यान प्रक्षेपण केलक अइछ । तीन अन्तरिक्ष यात्री सवार अइ मिसनमे एक गोटे सदस्यकेँ अन्तरिक्ष स्टेशनमे पूरा एक साल राखएके योजना समावेश कएल गेल अइछ ।

शेनझोउ–२३ अन्तरिक्ष यान उत्तरपश्चिम चीनस्थित जियुकुआन स्याटेलाइट प्रक्षेपण केन्द्रसँ रैबदिन राइतमे अन्तरिक्षदिस पठाएल गेल अइछ । चीन सन् २०३० धैर पहिल बेर मानवकेँ चन्द्रमामे अवतरण करेबाक लक्ष्यदिस तैयारी तीव्र बनाइब रहल समय अइ प्रक्षेपणकेँ विशेष महत्त्वसँ देखल गेल अइछ ।

अइ मिसनमे कमान्डर झु याङ्झु, झाङ झियुआन आ लाइ का–यिङ सहभागी छैथ ।

सरकारी सञ्चारमाध्यम अनुसार शेनझोउ–२३ के टोली अन्तरिक्षमे दर्जन वैज्ञानिक तथा प्रयोगात्मक परियोजनासभ सञ्चालन करबाक तैयारी केलक अइछ । ई टोली हाल २ सओ दिनसँ बेसी समय टियाङ्गोङ अन्तरिक्ष स्टेशनमे कार्यरत शेनझोउ–२१ के चालक दलसँ कक्षमे भेट करबाक तथा कार्य हस्तान्तरण प्रक्रिया पूरा करबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ ।

विश्व अन्तरिक्ष प्रतिस्पर्धामे अमेरिकाकेँ चीनक प्रमुख प्रतिद्वन्द्वीके रूपमे देखल जाइत अइछ । अमेरिकी अन्तरिक्ष निकाय नासा सेहो सन् २०२८ धैर पुनः चन्द्रमाके सतहमे अन्तरिक्ष यात्री अवतरण करेबाक लक्ष्य निर्धारण कएने अइछ ।

चीनक अन्तरिक्ष स्टेशन टियाङ्गोङ पहिल बेर सन् २०२१ मे चिनियाँ चालक दलकेँ स्वागत कएने छल ।

यसमा तपाइको प्रतिक्रिया
सम्बन्धित समाचार
Like us On Facebook
Follow Us On Twitter
Mirmire Online ठेगाना:अनामनगर काठमाडौँ
फोन : ०१-५९०१७७५, ९८४१८०८८४९
इमेल : mirmireonline@gmail.com
फेसबुक : facebook.com/onlinemirmire
सूचना तथा प्रशारण बिभाग दर्ता नं.: १७८/०७३-७४
©2016 Mirmire Online. All Right Reserved |  Site By: Sobij
संरक्षक: कल्याण तिम्सिना, प्रबन्ध निर्देशक: सिर्जना तिम्सिना, प्रधान सम्पादक : कृष्ण कुमार श्रेष्ठ, सम्पादक: वाशुदेव तिमिल्सना, प्रवन्धक - श्रीवास दास श्रेष्ठ, व्यवस्थापक: सन्तोष सेन्चुरी