बेलायतक ‘इण्डो प्यासिफिक’ मन्त्रीद्वारा पशुपतिनाथके दर्शन

बेलायतक ‘इण्डो प्यासिफिक’ मन्त्रीद्वारा पशुपतिनाथके दर्शन

  • आइतवार, जेष्ठ १०, २०८३
  • मिर्मिरे अनलाइन

  • 3.8K
    SHARES

काठमाण्डू, १० जेठः
बेलायतक ‘इण्डो प्यासिफिक’मन्त्री सीमा मल्होत्रा आइ पशुपतिनाथके दर्शन केलैन अइछ । बेलायती मन्त्री मल्होत्रा पशुपतिनाथ मूल मन्दिरमे रहल अन्य देवी देवताके सेहो दर्शन कएने पशुपति क्षेत्र विकास कोष, संस्कृति महाशाखाके निमित्त प्रमुख अरुण श्रेष्ठ राससकेँ जानकारी देलैन ।

दर्शन कएलाक बाद ओ पशुपतिनाथके मूल अर्चक गणेश भट्टसँ टीका तथा प्रसाद ग्रहण केलैन । पशुपतिनाथ आ प्राचीन मठ, मन्दिरके बारेमे मन्त्री मल्होत्राकेँ कोषक पुरातत्व अधिकृत सुशील कुमार गौतम जानकारी करौने छलैन ।

मन्दिरके दर्शनक बाद कोषके आगन्तुक पुस्तिकामे ओ नीक आध्यात्मिक भ्रमणक अवसर प्राप्त भेल आ अइसँ आनन्द प्राप्त भेल उल्लेख केलैन । मन्त्री मल्होत्राकेँ कोषक सदस्य सचिव राम बहादुर कुँवरलगायत वरिष्ठ कर्मचारी पशुपतिनाथ मन्दिर परिसरमे स्वागत कएने छलैन । मन्त्री मल्होत्रा शुक्रदिन नेपाल भ्रमणक लेल काठमाण्डू आएल छलैन । शैनदिन ओ कपिलवस्तुस्थित तिलौराकोटके सेहो भ्रमण कएने छलैन ।

यसमा तपाइको प्रतिक्रिया
सम्बन्धित समाचार
Like us On Facebook
Follow Us On Twitter
Mirmire Online ठेगाना:अनामनगर काठमाडौँ
फोन : ०१-५९०१७७५, ९८४१८०८८४९
इमेल : mirmireonline@gmail.com
फेसबुक : facebook.com/onlinemirmire
सूचना तथा प्रशारण बिभाग दर्ता नं.: १७८/०७३-७४
©2016 Mirmire Online. All Right Reserved |  Site By: Sobij
संरक्षक: कल्याण तिम्सिना, प्रबन्ध निर्देशक: सिर्जना तिम्सिना, प्रधान सम्पादक : कृष्ण कुमार श्रेष्ठ, सम्पादक: वाशुदेव तिमिल्सना, प्रवन्धक - श्रीवास दास श्रेष्ठ, व्यवस्थापक: सन्तोष सेन्चुरी